आब मैथिली सिनेमा ‘राखी के लाज’ रक्षाबंधन के बजाय दुर्गापूजा पर होयत रिलीज़

दिल्ली, मिथिला दर्शन। भाए-बहिन केर अटूट प्रेम पर  आधारित मैथिली सिनेमा ‘राखी के लाज’ आब रक्षाबंधन के बजाय दुर्गापूजा पर होयत रिलीज़। फिल्म’क निर्माता-निर्देशक नरेश मंडल टेलीफोन पर एहि बातक जानकारी दैत कहलाह जे ‘ चूँकि इ सिनेमा भाए-बहिन’क प्रेम पर आधारित आ दहेज़, नारी सशक्तिकरण बनल एहि तै हमारा लोकनिक विचार छल जे एकरा रक्षाबंधन पर रिलीज़ करी मुदा अचानक किछु तकनिकी समस्याक कारण एहि तारीख केँ आगा बढ़ाओल गेल अछि। रिलीज़ केर तारीख बढला सँ दर्शक लोकनि निश्चित रूप सँ मायूस हेताह मुदा हुनका सभ सँ कहय जे हमरालोकनि कने देर जरूर भेलहुँ एहि मुदा दुरुस्त आयब तकर अपने सभ विश्वास राखू।’

गौरतलब अछि जे इ एहि सिनेमाक शूटिंग पैछला बरख शुरू भेल छल। एहि सिनेमाक खास बात इ अछि जे एहिमे स्थानीय कलाकार के तव्वजो देल गेल अछि आ सिनेमाक लगभग 90 प्रतिशत शूटिंग मिथिला समस्तीपुर,मधुबनी, दरभंगा, सहरसा आदि जगह पर भेल अछि।
आनंद फिल्म प्रोडक्शन हॉउस केर बैनर तर बनि रहल एहि सिनेमाक निर्माता-निर्देशक नरेश मंडल छैथ। एहि सिनेमाक कहानी आशुतोष सागर लिखने छथि आ अभिनय सेहो कएने छथि। आशुतोष’क अलावा राम रसीला,मंजुश्री दुबे,सोनी, कंचन सिंह, मोहन झा, सुष्मिता, जय कृष्ण दत्ता,राम सकल आदि अभिनय कएने छथि।
आशुतोष सागर केर लिखल गीत केँ संगीत सँ साजेलथि एहि मनीष आ चन्दन झा। कोरियोग्राफी पवन मिश्रा कएने छथि। प्रोडक्शन हेड प्रभात रॉय केर देखरेख मे राखी के लाज एहि स्थिति धरि पहुँच पाओल।

चैनपुर आइडोल केर अडिसन भेल संपन्न: कुल १४० मे सँ २१ प्रतियोगीक चुनाव फाइनल लेल भेल

कुमुदानन्द झा ‘प्रियवर’, चैनपुर (सहरसा)। अक्टुबर ११, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
chainpur event4

फोटो साभार: जय हो बन्गाम
आइ क्रान्तिभूमि सहरसाक आदर्श गाम मे ‘चैनपुर आइडोल’ वास्ते राखल गेल अडिसन संपन्न भेल। चैनपुर केर उच्च विद्यालय आ वरिष्ठ नागरिक क्लब मे अडिसन शो राखल गेल छल। चैनपुर २००५ मैट्रीक बैच केर युवा लोकनि एहि प्रतियोगिताक आयोजन कएने छलाह। एहि प्रतियोगिता मे कुल १४० प्रतियोगी भाग लेलनि जाहि मे सँ २१ प्रतियोगी केँ फाइनल शो हेतु चुनल गेल। 
फाइनल १० नवम्बर केँ काली स्थान – चैनपुर मे आयोजित कैल जेबाक समाचार आयोजनकर्ता द्वारा प्राप्त भेल अछि। २१ प्रतियोगी जे फाइनल लेल चुनेला अछि, ताहि मे सँ कुल ३ उम्मीदवार केँ प्रथम, द्वितीय आ तृतीय पुरस्कार देल जायत। यैह ३ सफल प्रतियोगी केँ ए. आर. रहमान म्युजिकल इन्स्टीच्युट, चेन्नई मे गीत-संगीत केर दुनिया मे नीक कैरियर बनेबाक लेल प्रशिक्षित कैल जाएत।
chainpur event3

फोटो साभार: सहरसा टाइम्स
ई कार्यक्रम ग्रामीण स्तर पर आ सेहो महिमंडल चैनपुर मे राष्ट्रीय कार्यक्रम केर पैटर्न पर कैल जेबाक भरपूर सराहना कैल जा रहल अछि। आजुक कार्यक्रम मे निर्णायक केर रूप मे प्रो. कृष्ण कान्त ठाकुर, प्रो. गौतम सिंह, प्रो. भारती सिंह, आर प्रो. अमरेन्द्र मिश्र छलाह जखन कि कार्यक्रम मे अतिथिक रूप मे लोकप्रिय मैथिली-मिथिला अभियानी अमित आनन्द तथा युवा अभियानी झा रूपेश केर गरिमामयी उपस्थिति छल। आयोजनकर्ता यूवासमूह मे उज्जवल ठाकुर मालिक, प्रकाश झा, नितिश कुमार आ समस्त ग्रामीण केर सहयोग सराहनीय रहल। एहि कार्यक्रम मे प्रतियोगी सब भिन्न-भिन्न गाम सँ उत्साहपूर्वक अपन नाम पंजियन करबैत भाग लेलनि आ सब कियो अडिसन मे अपन विलक्षण प्रतिभाक प्रदर्शन कएलनि। एहि तरहक कार्यक्रमक आयोजन सँ समूचा चैनपुर व आसपासक गाम मे खूब प्रशंसा कैल जा रहल अछि। दुनियाक बढैत डेग संग मिथिलाक आदर्श गाम केर बढैत डेग आ खासकय युवा मे प्रतिभाक खोजी केर चौतर्फा चर्चा चलि रहल अछि।   स्रोत:मिथिला जिनाबाद 

हिन्दी धारावाहिक ‘सिया के राम’ मे मैथिली गीतक मिठास शीघ्र

ओना त हिन्दी सिनेमा तीसरी कसम मे जमि कऽ मैथिली भाषाक प्रयोग कैल गेल छल। ओहिकें बाद सिनेमा ‘भौजी मां’ कें सेहो आन-आन भाषा मे गबिंग कैल गेल छलैक मुदा स्टार प्लस पर आवै वला सीरियल ‘सिया के राम’ हिन्दी धारावाहिक मे मैथिली गीतक मिठास पूरा देश कें सुनवा मे आयत। चूंकि सीता मैथिलानी छलीह आ ओहि कें देखैत धारावाहिक निर्माता अहि बातक विशेष ध्यान रखलाह जे धारावाहिक मे मिथिलाक मिठास नीक जेना होइ। 
अहि बहुप्रतिक्षित धारावाहिक मे अपन स्वर सं गीतकें सुरवद्ध केलीह अछि वर्तमान मैथिली गीतक शीर्ष गायिका रंजना झा। मुंबईक अशोक हौंडा स्टूडियो मे रिकार्ड कैल गेल अहि गीतक संगीतकार छथि संदीप बनर्जी ओ अजय मिश्र तहिना रिकाॅर्डिस्टक रूप मे शकील अपन अहम योगदान देने छथि। गायिका रंजना झा अहि गीत कें गाबि उति उत्साहित छथि आ अपना सोशल साइट पर लिखलीह जे मां जानकीक कृपा सं रिकाॅर्डिंग बढि़या रहल आ अति शीघ्र स्टार प्लस पर सीया के राम सीरियल अपने लोकनि कें देखवा मे भेटत। 
निश्चित रूपहिं मैथिली गीत-संगीत ओ मिथिला-मैथिलीक लेल इ एक एकटा नीक भविष्यक सूचक अछि। अहि उत्कृष्ट काजक लेल सिया के राम कें पूरा यूनिट आ विशेष क रंजना झा कें बहुत-बहुत धन्यवाद आ कोटि सह बधाई।

गणेश युवा कमिटिक पद हस्तान्तरण तथा सपथ ग्रहण कार्यक्रम सम्पन्न

जनकपुर | जनकपुरक गणेश युवा कमिटिक नव कार्यसमितिक पद हस्तान्तरण तथा सपथ ग्रहण कार्यक्रम  सम्पन्न भेल अछि । शनिदिन जनकपुरमे आयोजित एक कार्यक्रमके बीच कमिटिक छठम कार्यसमितिक पदाधिकारी एवम सदस्य पद तथा गोपनीयताक शपथ लेलन्हि अछि ।नेकपा एमाले नेता रघुविर महासेठक प्रमुख आतिथ्यमे सम्पन्न कार्यक्रममे कमिटिक अध्यक्ष दिपक भगत नव निर्वाचित अध्यक्ष राजेश भण्डारीके पद तथा गोपनीयताक शपथ दिओने छलथि ।
तहिना कमिटिक विधान एवम परम्परा अनुसार नव निर्वाचित अध्यक्ष भण्डारी अपन नव निर्वाचित कार्यसमितिक पदाधिकारी एवम सदस्यसभके पद तथा गोपनीयताक शपथ दिओने छलखिन्ह । दु वर्षक कार्यकाललेल गत वैशाख १४ गते कमिटिक नव कार्यसमितिके चयन सर्वसहमतिसँ कएलगेल छल ।
कमिटिक अध्यक्षमे भण्डारी, उपाध्यक्षमे विकेश पंजियार, महासचिवमे रंजन जयसवाल, सचिवमे भरतकुमार साह आ कोषाध्यक्षमे संजयकुमार साह निर्वाचित भेल छथि । तहिना दिलिप गुप्ता, नरेन्द्र विक्रम साह, गोविन्द भगत, मुन्ना नागवंशी, भरत महासेठ आ रवि शर्मा नव कार्यसमितिक सदस्यमे निर्वाचित भेल छथि । २०५५ सालमे स्थापना भेल गणेश युवा कमिटि विभिन्न समाजिक कार्य करैत आबि रहल अछि ।
कार्यक्रममे जनकपुर उधोग वाणिज्य संघक अध्यक्ष शिवशंकर साह हिरा, समाजसेवी प्रकाशचन्द्र साह, सेभ द हिस्टोरिकल जनकपुरक अध्यक्ष रामअशिष यादव, जनकपुर उधोग वाणिज्य संघक पूर्व अध्यक्ष निर्मल चौधरी, वाणिज्य संघक निवर्तमान महासचिव ललितकुमार साह सहितक व्यक्तिसभ सम्बोधन कएने छलथि ।