भारतके राष्ट्रपति मुखर्जी ३दिन केलेल नेपाल में


✍अशोक कुमार सहनी
अपन मिथिला , १७ कात्तिक–तिनदिन के राजकीय भ्रमण केलेल भारतीय राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जी काठमाडौ अखुन पूगल अछि । राष्ट्रपति मुखर्जी दुपहर के साढे १२ बजे काठमाडौंमें त्रिभुवन अन्तराष्टिय एयरपोर्ट में उतरल अछि ।

भारतके राजधानी दिल्ली इन्दिरा गान्धी अन्र्तर्राष्ट्रिय एयरपोर्टसँ मुखर्जी विशेष प्प्लेनमे नेपाल ऐल अछि । मुखर्जीके स्वागतकेलेल नेपाल के राष्ट्रपति विद्यादेवी भण्डारी नेपाल के एयरपोट पुगल छेल । मुखर्जी एयरपोट से सिधा राष्ट्रपति भवन शितलनिवास पूगल अछी ।

असोज ३ : मधेशी मोर्चा आ एमालेसंगे झगड़ा होइके सम्भावना

✍अशोक कुमार सहनीअपन मिथिला, ३१ गते भदौ । 
संविधान घोषणा भेल दिन असोज तीन (३)गते संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेशी मोर्चा काला दिन मनाबै के आ प्रदर्शन करैके निर्णय कचुकल अछि । यत बेरस्पतै दिन नेकपा एमालेके स्थानीय समिति बैठकसँ अजोस तीन गते संविधान दिन धूमधाम के साथ मनाबै के निर्णय केलक।
मधेशी मोर्चा असोज दुई गते सँ रंग-बिरंग के कार्यक्रम करैके  चार(४) गते तक विरोध करैके निर्णय कचुकल अछि ।
एमाले असोज तीन गते पूरानेपालमें ओहो रंग-बिरंग के कार्यक्रमसाथमे जुलुस प्रर्दशन करैके सचिव प्रदिप ज्ञावाली जानकारी करोने अछि ।
असोज तीन गते मधेशी मोर्चा सेहो  सदरमुकामसबमे जुलुश आ सभा कके विरोध करत आ एमाले सेहो करत ओहि टाइम में जुलुस और सभा करत तब बहुत ठाम में झगड़ा होइके सम्भावना रहल अछि ।
यत काठमाडौंमें सेहो मधेशी आ एमाले कार्यकर्ताबीचमें झगड़ा भस्कैय । असोज तीन गते मधेशी युवासबके अगुवाईमें मधेशी समाजके व्यानरमें काठमाडौंमें प्रदर्शन हेत । ओहि दिन एमाले काठमाडौंके बहुत ठामसँ ढोल-पिपिहि के साथ प्रदर्शन करैत शान्तिबाटीका पुगत। दुपहर के २ बजे बसन्तपुरमें पार्टी अध्यक्ष केपी ओली सम्बोधन करैवाल अछि।

भारतमें एसिड आक्रमण करैवलाके मौत के सजा देलक

अन्तर्राष्ट्रिय समाचार

भारतमें एसिड आक्रमण करैवलाके मौत के सजा देलक

एजेन्सी

✍अशोक कुमार सहनी

भारतमें एक लड़की के ऊपर एसिड आक्रमण केने एक गोटे के मौत के सजाय सुनेने अछि । तीनसाल पहिले  उमेर २३ के प्रिती राठी ऊपर मुम्बईके बान्द्रा रेल्वे स्टेशनमें एसिड आक्रमण केने उमर २५के  अङ्कुर पन्वरके मुम्बईके एक अदालत मृत्युदण्डके सजाय सुनेलक।

एसिड आक्रमणके कारण फोक्सो आ आखाँमें गम्भिर चोट लागल प्रितीके घटनाके एक महिनाबाध इलाजके क्रममें  मौत भेल छेल। अङ्कुर प्रहरी समक्ष विवाहके प्रस्ताव नै मानलक तब प्रितीमा ऊपर आक्रमण केलो से बयान देने छेल ।

प्रिती दिल्ली सँ भारतीय जलसेनाके नर्समें भर्ना होइले मुम्बई ऐल समय पड़ोसी अङ्कुर ओकरा ऊपर आक्रमण केने छेल  । उ घटनाके बाध भारतके सर्वोच्च अदालत संघीय आ राज्य सरकारके एसिड बिक्रिबितरणमें रोक लगाबैके  आदेश देने छेल ।

और अदालत आधिकारीके परिचय भेल आदमी सबके मात्र एसिड बेचै के कहने छेल तबसे भारतमें कुछ समय सँ एसिड आक्रमणके घटना कुछ घटल  से बतोलक अछि।।