चैनपुर आइडोल केर अडिसन भेल संपन्न: कुल १४० मे सँ २१ प्रतियोगीक चुनाव फाइनल लेल भेल

कुमुदानन्द झा ‘प्रियवर’, चैनपुर (सहरसा)। अक्टुबर ११, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
chainpur event4

फोटो साभार: जय हो बन्गाम
आइ क्रान्तिभूमि सहरसाक आदर्श गाम मे ‘चैनपुर आइडोल’ वास्ते राखल गेल अडिसन संपन्न भेल। चैनपुर केर उच्च विद्यालय आ वरिष्ठ नागरिक क्लब मे अडिसन शो राखल गेल छल। चैनपुर २००५ मैट्रीक बैच केर युवा लोकनि एहि प्रतियोगिताक आयोजन कएने छलाह। एहि प्रतियोगिता मे कुल १४० प्रतियोगी भाग लेलनि जाहि मे सँ २१ प्रतियोगी केँ फाइनल शो हेतु चुनल गेल। 
फाइनल १० नवम्बर केँ काली स्थान – चैनपुर मे आयोजित कैल जेबाक समाचार आयोजनकर्ता द्वारा प्राप्त भेल अछि। २१ प्रतियोगी जे फाइनल लेल चुनेला अछि, ताहि मे सँ कुल ३ उम्मीदवार केँ प्रथम, द्वितीय आ तृतीय पुरस्कार देल जायत। यैह ३ सफल प्रतियोगी केँ ए. आर. रहमान म्युजिकल इन्स्टीच्युट, चेन्नई मे गीत-संगीत केर दुनिया मे नीक कैरियर बनेबाक लेल प्रशिक्षित कैल जाएत।
chainpur event3

फोटो साभार: सहरसा टाइम्स
ई कार्यक्रम ग्रामीण स्तर पर आ सेहो महिमंडल चैनपुर मे राष्ट्रीय कार्यक्रम केर पैटर्न पर कैल जेबाक भरपूर सराहना कैल जा रहल अछि। आजुक कार्यक्रम मे निर्णायक केर रूप मे प्रो. कृष्ण कान्त ठाकुर, प्रो. गौतम सिंह, प्रो. भारती सिंह, आर प्रो. अमरेन्द्र मिश्र छलाह जखन कि कार्यक्रम मे अतिथिक रूप मे लोकप्रिय मैथिली-मिथिला अभियानी अमित आनन्द तथा युवा अभियानी झा रूपेश केर गरिमामयी उपस्थिति छल। आयोजनकर्ता यूवासमूह मे उज्जवल ठाकुर मालिक, प्रकाश झा, नितिश कुमार आ समस्त ग्रामीण केर सहयोग सराहनीय रहल। एहि कार्यक्रम मे प्रतियोगी सब भिन्न-भिन्न गाम सँ उत्साहपूर्वक अपन नाम पंजियन करबैत भाग लेलनि आ सब कियो अडिसन मे अपन विलक्षण प्रतिभाक प्रदर्शन कएलनि। एहि तरहक कार्यक्रमक आयोजन सँ समूचा चैनपुर व आसपासक गाम मे खूब प्रशंसा कैल जा रहल अछि। दुनियाक बढैत डेग संग मिथिलाक आदर्श गाम केर बढैत डेग आ खासकय युवा मे प्रतिभाक खोजी केर चौतर्फा चर्चा चलि रहल अछि।   स्रोत:मिथिला जिनाबाद 

विराटनगर केर पारंपरिक मिथिला समारोह बनि गेल अछि जितिया पर्व समारोह: ई. रमाकान्त झा

jitiya 2072विराटनगर, अक्टुबर ७, २०१५.
विगत किछु वर्ष सँ मैथिलानी वसुन्धरा झा केर नेतृत्व मे आयोजन कैल जा रहल मैथिल-मधेशी-थारू महिलाक विशेष पूजा-अर्चनाक परिचायक ‘जितिया पर्व समारोह’ धीरे-धीरे विराटनगर जेकरा मोरंग आ पूर्वी नेपालक राजधानी मानल जाएत छैक ताहि ठाम पारंपरिक मिथिला समारोह केर स्थापित पहिचान भेट गेल अछि – ई बात कहलनि जितिया पर्व समारोह २०७२ केर प्रमुख अतिथि वरिष्ठ समाजसेवी एवं बुद्धिजीवी ई. रमाकान्त झा।
निश्चित रूप सँ वसुन्धरा झा एकटा सृजनशील मैथिलानीक रूप मे स्वयं मे एक संस्था रहबाक कला केँ बेर-बेर प्रमाणित करैत रहली अछि। एहि बेरुक समारोह केर आयोजन अत्यन्त बिपरीत आर प्रतिकूल वातावरण मे करबाक चुनौती केँ सामना करैत – मिथिला-मैथिली-मधेशक सांस्कृतिक पहिचान नहि मेटाय देबाक भार उठेली। पूर्ण रूप सँ असगर नेतृत्वक बागडोर अपना हाथ मे लैत घर-गृहस्थी आ धिया-पुताक पोषण-संभारण करैत ओ जाहि तरहें ‘मुण्डे-मुण्डे-मतिर्भिन्ना’ आ ‘खण्डी बुद्धि’ लेल प्रसिद्ध मैथिल परिवारक महिला, पुरुष, समाजसेवी आदि केँ संङोरैत काज करैत छथि, ई हुनकर कर्मठता आ प्रतिबद्धता केँ सेहो प्रमाणित करैत अछि। एहि बेरका आयोजन लेल दुनू प्राणी दिन-राति खटैत अन्ततोगत्वा एकटा भव्य समारोह केर आयोजन पूर्व परिचित स्थान महेन्द्र मोरंग कैम्पस केर प्रांगण मे, दसों हजार मैथिल केर उपस्थिति मे संपन्न केलनि। विराटनगर मैथिल समाज लेल ई एकटा विशेष गर्व केर परिचायक कार्यक्रम भेल, यैह चर्चा सब तैर कैल जा रहल अछि।
6पैछला शनि दिन यानि ३ अक्टुबर संपन्न एहि भव्य समारोह केर उद्घाटनग दीप प्रज्ज्वल करैत प्रमुख अतिथि ई. रमाकान्त झा द्वारा कैल गेल छल। तहिना एहि विशिष्ट समारोह मे विशिष्ट अतिथिक रूप मे सहायक प्रमुख जिला अधिकारी प्रदीप कँडेल केर संग प्रसिद्ध उद्योगपति-समाजसेवी ताराचन्द खेतान एवं मानव अधिकारकर्मी संजू साह केर उपस्थिति छल। आभा अनुपमा समान महिला अधिकारकर्मी, प्रेम सोनम समान कलाप्रेमीक संग आरो बहुत रास अतिथि लोकनिक संग ई आयोजन पूर्ववत् भव्यताक संग आयोजित कैल गेल छल।
सुप्रसिद्ध गायक विरेन्द्र झा केर मधुर आवाज मे गोसाउनि गीत ‘जय जय भैरवि’ सँ सांस्कृतिक कार्यक्रम केर शुरुआत कैल गेल छल। मैथिली कला व मिथिलाक लोक संस्कृति केर आजन्म सेवा कएनिहार सुप्रसिद्ध नृत्य निर्देशक स्व. चतुर्भुज आशावादी द्वारा स्थापित लोकप्रिय संस्था ‘भानु कला केन्द्र’ केर कलाकार सब द्वारा झिझिया, नट-नटिन आदि लोकनृत्य प्रस्तुत कैल गेल छल। मैथिली लोकगीत ‘एहि ठिना टिकुली हेरा गेलय दैया गै’ पर सेहो एकटा अत्यन्त रोमांचक-मनोरंजक नृत्य केर प्रस्तुति भेल जेकर सराहना हजारों दर्शक जोरदार थोपड़ी आ युवा-युवती द्वारा मैदान मे मंचकेँ संग दैत नृत्य करैत कैल गेल छल।
7देव समाजक कला-संस्कृति प्रतिष्ठान – विराटनगर केर सेहो मंचीय प्रस्तुति मे सहभागिता छल। एहि प्रतिष्ठानक कलाकार द्वारा विभिन्न मैथिली गीत पर नृत्य केर प्रस्तुति समावेश कैल गेल छल कार्यक्रम मे। तहिना मैथिली संचार केर सुपरिचित नाम श्रीमती राधा मंडल केर अध्यक्षता मे संचालित मैथिली सांस्कृतिक मंच – विराटनगर केर कलाकार लोकनि द्वारा हास्य-प्रहसन केर प्रस्तुति कैल गेल छल। संपूर्ण कार्यक्रम केर संचालन सेहो स्वयं राधा मंडल आ संङोर नाटकक लेखक तथा मिनाप-जनकपुर कलाकार प्रकाश प्रेमी द्वारा भेल।
एहि गरिमामय कार्यक्रम मे मैथिली पत्रकारिता सँ जुड़ल अनेको पत्रकार स्रष्टा लोकनि केँ सम्मानित सेहो कैल गेल छल। सम्मानित पत्रकार समाज मे मकालू टेलिविजन सँ नविन कर्ण, हिन्दुस्तान केर जोगबनी प्रतिनिधि वरुण मिश्र, उज्यालो दैनिक केर जितेन्द्र ठाकुर, कान्तिपुर राष्ट्रीय दैनिक केर अबधेश झा, नागरिक – पूर्वेली केर संपादक अजित तिवारी आर नागरिक एफ एम केर निर्देशक अरविन्द मेहता शामिल छलाह। तहिना मैथिल महिला समाज केर उत्थान मे निरंतर योगदान देनिहारि मैथिलानी वंदना चौधरी, रिंकी झा, माफी झा, संझा यादव, सरिता झा, राधा मंडल तथा मीना झा केँ सम्मानित कैल गेल।
9आयोजक समिति केर सक्रिय सदस्या लोकनि द्वारा प्रत्यक्ष सांस्कृतिक कार्यक्रम केर प्रस्तुति सेहो दर्शक लोकनि द्वारा खूब प्रशंसित भेल। स्वागत गीत रिंकी झा तथा रंजना झा द्वारा प्रस्तुत कैल गेल। मैथिली लोकगीत संग प्रीति झा मंच पर प्रस्तुति देलीह। ममता रानी आ दयारानी आमात्य द्वारा मैथिल पिछड़ावर्ग महिला समाज केर सांस्कृतिक झाँकी सहित नगर परिक्रमा करैत कार्यक्रम मे सहभागिता एहि बेरुक कार्यक्रमक एकटा खास विलक्षण प्रस्तुतिक रूप मे गानल गेल।
सांस्कृतिक कार्यक्रमक संग महिला मे घरैया लूरि केँ प्रोत्साहित करबाक लेल पेन्टिंग सँ लैत सिक्की कला आदिक संवर्धन-संरक्षण हेतु सेहो निरन्तर प्रयास होइत रहल अछि। एहि बेर सकुन्तला साह केर नेतृत्व मे सिक्की सँ बनल समान मौनी, पौती, दीप-स्टैन्ड, आदि केर प्रदर्शनी कैल गेल छल। श्रीमती साह द्वारा एहि कला केँ प्रशिक्षण नव पीढी मे करबाक सेहो वचनबद्धता प्रकट कैल गेल छल।
14वृहत् मधेसी नागरिक समाज केर केन्द्रीय अध्यक्ष सूर्यनाथ सिंह द्वारा कार्यक्रमक संयोजन केर भरपूर प्रशंसा कैल गेल आ मधेसी-उत्पीडित-पिछड़ल समाज केरर उत्थान मे एहि तरहक कार्यक्रम बड पैघ योगदान देत ताहि तरहक विश्वास सेहो प्रकट कैल गेल छल। संपूर्ण कार्यक्रम मे संगीत संयोजन राजेश राय केर टोली द्वारा तथा सांस्कृतिक मंचक संयोजन राधा मंडल द्वारा कैल गेल छल।
कार्यक्रमक संयोजिकाक संग अध्यक्षता स्वयं वसुन्धरा झा द्वारा कैल गेल। मैथिली जिन्दाबाद सँ बात करैत ओ समस्त सहयोगी समाज प्रति धन्यवाद ज्ञापन करैत अत्यन्त कम समय मे अत्यधिक सहयोग तथा प्रोत्साहन लेल श्रीमती राजलक्ष्मी गोल्छा, ताराचन्द खेतान, दीनबन्धु गोयल, पवन शारडा, वैष्णवी पुस्तक भंडार केर आनन्द पाण्डे, पूनम देव तथा ई. प्रेमचन्द्र झा केँ विशेष धन्यवाद ज्ञापन केलीह।

आगामी समय मे सेहो एहि कार्यक्रमक महत्व एतबे गणनीय होएबाक पूर्ण आशा संपूर्ण विराटनगर समाज द्वारा राखल जा रहल अछि।                                                           स्रोत; मैथिली जिन्दाबाद

संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चाक बिरोध सभा सुखीपुर मे सम्पन्न

कृष्ण मोहन चौधरी, सुखीपुर (सिरहा) आसिन २० गते ।

संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चाक आयोजन निर्वाचन क्षेत्र नं ४ मे बृहत बिरोध सभा सिरहाक सुखीपुरमे सम्पन्न कयलक अछि ।
नेपाल सद्भावना पार्टीक अध्यक्ष राम बहादुर महतो केर अध्यक्षता तथा पुर्व मन्त्री बिजय यादव केर प्रमुख अतिथ्य मे कार्यक्रम सम्पन्न भेल से संघिय समाजबादी फोरम नेपालक जिल्ला सचिव बिन्देशवर पंजियार बतौलन्हि ।
बिरोध सभामे मोर्चाक तथा सम्पूर्ण मधेसबादी दलकेर केन्द्रीय नेता भु पु सभासद राजलाल यादव लगायत निर्वाचन क्षेत्र नं ४ केर १६ गाविस केर जनता, बुद्धिजीवी सभक उल्लेखनिय सहभागिता रहल छल ।
सभामे बिगत २ महिना सँ चलि रहल मधेस आन्दोलनक समवन्धमे सरकार कोनो तरहक सुनुवाई नहि कयने आ सत्ताक खेलमे तिन दल भिरल रहबाक शैली केर घोर बिरोध कैल गेल ।
मधेस आन्दोलन आ मधेसक मुद्दासभक बिषय ऊपर जानकारी आ आैचित्य मधेस बिरोधी सरकारक बिरोध आ आब विगत जेकाँ कोनो उधारी सहमति कोनो परिस्थितिमे स्वीकार नहि करबाक जनादेश अधिकांश वक्तासभ संवोधन द्वारा प्रकट कैल गेल छल ।
संगहि मधेस आन्दोलन आ विगत मे भेल अन्तरिम संविधानमे ८ बुन्दे आ २२ बुन्दे सहमति केर समवन्धमे प्रोजेक्टर प्रविधि सँ जनता समक्ष भुतपूर्व सभासद तथा मन्त्री प्रस्तुति कयने छला । आे कहलन्हि जे हमरा सभक कोनो नया माँग नहि अछि । पूर्व मे स्वीकृत अधिकार तऽ कम सँ कम नहि छीनय।

हिन्दी धारावाहिक ‘सिया के राम’ मे मैथिली गीतक मिठास शीघ्र

ओना त हिन्दी सिनेमा तीसरी कसम मे जमि कऽ मैथिली भाषाक प्रयोग कैल गेल छल। ओहिकें बाद सिनेमा ‘भौजी मां’ कें सेहो आन-आन भाषा मे गबिंग कैल गेल छलैक मुदा स्टार प्लस पर आवै वला सीरियल ‘सिया के राम’ हिन्दी धारावाहिक मे मैथिली गीतक मिठास पूरा देश कें सुनवा मे आयत। चूंकि सीता मैथिलानी छलीह आ ओहि कें देखैत धारावाहिक निर्माता अहि बातक विशेष ध्यान रखलाह जे धारावाहिक मे मिथिलाक मिठास नीक जेना होइ। 
अहि बहुप्रतिक्षित धारावाहिक मे अपन स्वर सं गीतकें सुरवद्ध केलीह अछि वर्तमान मैथिली गीतक शीर्ष गायिका रंजना झा। मुंबईक अशोक हौंडा स्टूडियो मे रिकार्ड कैल गेल अहि गीतक संगीतकार छथि संदीप बनर्जी ओ अजय मिश्र तहिना रिकाॅर्डिस्टक रूप मे शकील अपन अहम योगदान देने छथि। गायिका रंजना झा अहि गीत कें गाबि उति उत्साहित छथि आ अपना सोशल साइट पर लिखलीह जे मां जानकीक कृपा सं रिकाॅर्डिंग बढि़या रहल आ अति शीघ्र स्टार प्लस पर सीया के राम सीरियल अपने लोकनि कें देखवा मे भेटत। 
निश्चित रूपहिं मैथिली गीत-संगीत ओ मिथिला-मैथिलीक लेल इ एक एकटा नीक भविष्यक सूचक अछि। अहि उत्कृष्ट काजक लेल सिया के राम कें पूरा यूनिट आ विशेष क रंजना झा कें बहुत-बहुत धन्यवाद आ कोटि सह बधाई।

गणेश युवा कमिटिक पद हस्तान्तरण तथा सपथ ग्रहण कार्यक्रम सम्पन्न

जनकपुर | जनकपुरक गणेश युवा कमिटिक नव कार्यसमितिक पद हस्तान्तरण तथा सपथ ग्रहण कार्यक्रम  सम्पन्न भेल अछि । शनिदिन जनकपुरमे आयोजित एक कार्यक्रमके बीच कमिटिक छठम कार्यसमितिक पदाधिकारी एवम सदस्य पद तथा गोपनीयताक शपथ लेलन्हि अछि ।नेकपा एमाले नेता रघुविर महासेठक प्रमुख आतिथ्यमे सम्पन्न कार्यक्रममे कमिटिक अध्यक्ष दिपक भगत नव निर्वाचित अध्यक्ष राजेश भण्डारीके पद तथा गोपनीयताक शपथ दिओने छलथि ।
तहिना कमिटिक विधान एवम परम्परा अनुसार नव निर्वाचित अध्यक्ष भण्डारी अपन नव निर्वाचित कार्यसमितिक पदाधिकारी एवम सदस्यसभके पद तथा गोपनीयताक शपथ दिओने छलखिन्ह । दु वर्षक कार्यकाललेल गत वैशाख १४ गते कमिटिक नव कार्यसमितिके चयन सर्वसहमतिसँ कएलगेल छल ।
कमिटिक अध्यक्षमे भण्डारी, उपाध्यक्षमे विकेश पंजियार, महासचिवमे रंजन जयसवाल, सचिवमे भरतकुमार साह आ कोषाध्यक्षमे संजयकुमार साह निर्वाचित भेल छथि । तहिना दिलिप गुप्ता, नरेन्द्र विक्रम साह, गोविन्द भगत, मुन्ना नागवंशी, भरत महासेठ आ रवि शर्मा नव कार्यसमितिक सदस्यमे निर्वाचित भेल छथि । २०५५ सालमे स्थापना भेल गणेश युवा कमिटि विभिन्न समाजिक कार्य करैत आबि रहल अछि ।
कार्यक्रममे जनकपुर उधोग वाणिज्य संघक अध्यक्ष शिवशंकर साह हिरा, समाजसेवी प्रकाशचन्द्र साह, सेभ द हिस्टोरिकल जनकपुरक अध्यक्ष रामअशिष यादव, जनकपुर उधोग वाणिज्य संघक पूर्व अध्यक्ष निर्मल चौधरी, वाणिज्य संघक निवर्तमान महासचिव ललितकुमार साह सहितक व्यक्तिसभ सम्बोधन कएने छलथि ।